पहिनका बेर थाकस स्थापना दिवस

विचार समाचार

काठमाडौ, १२ माघ ।
थारु कल्याणकारिणी सभाके ७७ स्थापना दिवस आई धुमधामके साथ मनाइने छै ।
नेपालके तराई क्षेत्र ओैर थारु बाहुल्य जिल्लासबमे विभिन्न राजनीतिक, सामाजिक आ आर्थिक गतिविधिसब करल गेल थाकसके अध्यक्ष प्रेमीलाल चौधरी थाह देने छै ।
काठमाडौमे आयोजित विशेष कार्यक्रममे संविधानबाटे प्रत्याभूत करल ७ प्रतिशत आरक्षण निजामती सेवामे अखैनो पूर्ण कार्यान्वयन नै भ्याल प्रति थारु अगुवासुन चिन्ता व्यक्त करने छै । कार्यक्रममे नागरिक उन्मुक्ति पार्टीके संरक्षक रेशमलाल चौधरीके उम्मेदवारी रद्द करल ग्याल विषयमे सर्वोच्च अदालतसे अन्तरिम आदेश दैले अस्वीकार करल गेल प्रति थारु अगुवासब आपन आपन रिस समेत व्यक्त करने छेलै । रेशमलाल चौधरी फागुन २१ गते हैबला प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनके लेल कैलाली-१ से उम्मेदवारी मनोनयनके निर्वाचन आयोगद्वारा ‘टीकापुर हत्याकाण्डमे दोषी ठहर’ करल गेल आधारमे उमेदवारी रद्द करने छेै। आइके अदालतसे करल गेल निर्णय सँगे आब चौधरी निर्वाचनमे प्रतिस्पर्धा करैले नै पाबैके रस्ता किटल गेल देखा परल छै । ओइ कार्यक्रममे देशभोइरके थारुसबके उपस्थिति रहल छेलै त बि.स.२००५ साल माघ १२ गते स्थापना भ्याल थाकस संस्था थारु समुदायमे सबसे पहिनका जेठ संस्था रहल छै ।